जय जय भैरवी असुर - भयाउनि
विद्यापति द्वारा रचीत लोकप्रिय मैथिली गीत :- जय जय भैरवी असुर - भयाउनि
जय जय भैरवी असुर - भयाउनि
पशुपति - भामिनी माया
सहज सुमति वर दिअओं गोसाउनि
अनुगत गति तुअ अपाया
वासर रैन शवासन शोभित
चरण चन्द्रमणि चुडा
कतओक दैत्य मारि मुख मेलल
कतओं उगिलि कैल कुड़ा
सामर वरण नयन अनुरणजित
जलद जोग फूल कोका
कट कट विकट ओठ फ़ुट पाँड़ीर
लिधूर फ़ेन उठ फ़ोका
घन घन घनन नुपुर कत बाजय
हन हन कर तुअ काता
विद्यापति कवि तुअ अति सेवक
पुत्र बिसरि जुनि माता
No comments: