मैना के बच्चा (एक पारंपरिक गितक मुखड़ा संग )
मैना के बच्चा (एक पारंपरिक गितक मुखड़ा संग )
मैना के बच्चा सिलोरीया रे,
दुगो जामुन गिरा।
लालि गिरयबें त मारबौ रे,
दुगो कारी गिरा...
कक्खन स,बैसल छि,
कत्त नुकायल छें
ऐना किएक हमरा स,'
झुठे पड़ायल छें
बेसी नुकायले त, कनबौ र
दुगो जामुन गिरा..
राउदा बहुत छैं,
तोरो लागैत हेतौ
काँच-काँच जामुन,
सेहो सिझैत हेतौ
एहिना सिझैत कि मारबो रे
दुगो जामुन गिरा...
आबे तू, आयबें त,
जल्दी सन भैया रे
कारी ई मेघ
लागौ कसैया रे
भिजते कि आब घर जायबौ रे,
जामुन गिरा...
बच्चा छी हम रें,
तोरे भरोषे
एतबि टा जिह ई,
तू नै जरो से
बेसी जरयबें त ' रुसबो रे,
जामुन गिरा...
No comments: