Story Of Parampara Thakur | मिथिलाक बेटी परंपरा ठाकुर

                                                            मिथिलाक बेटी परंपरा ठाकुर 





एंड टीवी के रीयलिटी शो द वॉयस इन्डिया सँ अपन पहचान बना चुकली परंपरा ठाकुर ( Parampara Thakur ) मूल रूप सँ मिथिलाक प्रमुख क्षेत्र पुर्णिया #Purnia(#Mithila) के धमदाहा निवासी मैथिलीक बहुचर्चित गीतकार रवीन्द्रनाथ ठाकुर जी केर पौत्री छथि।

शास्त्रीय संगीत सँ सधल मधुर अबाज आ प्रतिभाशाली गायिका परंपरा ठाकुर मात्र चारि सालक उम्र सँ गाबि रहलीह छथि। 13 वर्ष के आयु मे राजस्थान सरकार ले जिंगल गेलैथ, सब टीवी के सीरियल "क्या हाल है जीजा जी" लेल सेहो गेने छथि। 2013 में प्रसिद्ध यूफोरिया बैंड सँ सेहो जुरलैथ। परंपरा अपन पढ़ाई दिल्ली के लेडी श्रीराम कॉलेज सं सम्पन्न केलैथ।

परम्परा ठाकुर एखन धरि बहुते रास हिंदी फिल्म मे गीत गेबाक संगे संगीत सेहो द चुकल छथि, जाहि मे 'टॉइलेट - एक प्रेम कथा', 'जबरिया जोड़ी', 'कबीर सिंह', 'भूमि', ' बत्ती गुल मीटर चालू', यमला पगला दीवाना फिर से', पल पल दिल के पास', 'स्ट्रीट डांसर 3 डी प्रमुख फिल्मक नाम अछि। परम्परा ठाकुर एकर अलाबा औरो म्यूजिक वीडियो में सेहो स्वर आ संगीत देने छथि।

एखन धरि परम्परा अनेको म्यूजिकल अवार्ड अपन नाम क चुकल छथि। जाहि मे फिल्म फेयर अवार्ड (2020) सम्मान एक अछि। सर्वश्रेष्ठ पार्श्व गायिका के इ अवार्ड हिनका फिल्म कबीर सिंह के गाना 'मेरे सोनेया... के लेल भेटलनि । संगे ज़ी सिने पुरस्कार - सॉन्ग ऑफ द ईयर (2020) भेटल छनि। परंपरा अजय देवगन के प्रसिद्ध फिल्म तानाजी मे सेहो अपन अबाज देने छथि ।

परम्परा द वॉइस इंडिया के शो में साल 2015 में आय छली और और ओतय सं हिनकर संगीत के सफर शुरू भेलनी, वर्तमान मे हिनका सगीतकर के जोड़ीक रूप मे 'सचेत-परंपरा' के नाम सँ सेहो देखबैन ।

1 comment:

ads
Powered by Blogger.