पिरुकिया पकवान विधि मैथिली में | Pirukiya Recipe in Maithli

 पिरुकिया पकवान विधि मैथिली  में | Pirukiya Recipe in Maithli 


आवश्यक सामग्री 


मैदा - 2 कप (250 ग्राम ),घी 1/4कप(60gram),दहि या दुध 1/4 कप स्टफफीन्ग के  लेल,सुजी - 3/4 कप (150 ग्राम ),पीसल (पाउडर ) चीनी - 3/4 कप,ड्राय फ्रूट - 1कप (काजू,अखरोट,बादाम,किशमिश),छोटका इलाचि 6-7 टा,घी - पिरुकिया तरवाक लेल।


मैदा  के  कुनू  बर्तन  में  निकैल  लिअ घी और  आटा मे द क,नीक  जेका मील दियौ आटा के आधहा घंटा झैप दियौ।

दोसर दिस, सबटा  ड्राई फ्रूट्स काईट लीय और  ईलैचि के पाउडर  बना  लिअ 

लोहिया में 2 चम्मच घी द गरम को लिअ। घी  में सुजी  द क लगातार लारैत हुल्का गोल्डेन ब्राउन हेबाक  धरि भुजु। सुजी के भुजवा पर अहिमें काटल गेल ड्राई फ्रूट्स द और 1-2 मिनिट  मीलवैत भुईज लिअ। धीमा आँच पर सुजी के थोरे देर  तक  चलबैत रहू। सुजी  के  कुनू  बरतन में  निकैल लिअ और हल्का  ठंडा  होबय दियउ।


आटाके मसैल-मसैल के  मुलायम क लिअ और आटा सं 25 टा लोइया तोइर लिअ।

सुजी  के  हल्का  ठंडा  भेला पर ओहिमें पिसल पाउडर 

द क मिला  लिअ,पिरुकिया में  भरबाक लेल म्स्ल्ला ( मीश्रण  ) तैयार  अछि।

एकटा लोईया निकैल लिअ 3-4 ब्यास में  पूरी  बेल  लिअ, बेलेल  गेल  पूरी थारि में राखैत जाउ। आब ऐकरा भैर क पिरुकिया तैयार क लि अ। 

पिरुकिया छनवाक लेल 

लोहिया में घी या  तेल  अपन  इकछा के  अनुसार द क गरम  को  लिअ, मध्यम  गरम घी  या  तेल  में  पिरुकिया द दियौ, और  धीमा  आँच  पर  हल्का  गोल्डेन ब्राउन धरि  पलैट-पलैट क सब  टा पिरुकियाक बेरा बेरि छानैत लिअ 

पिरुकिया तैयार अछि।


No comments:

ads
Powered by Blogger.