भुवनेश्वरी दुर्गा मंदिर मंगरौनी, मधुबनी
भुवनेश्वरी दुर्गा मंदिर मंगरौनी, मधुबनी
मधुबनी जीलाक मंगरौनी में स्थत भुवनेश्वरी दुर्गा मंदिर
मिथिलाक सिद्धिपीठ अछि। एतय आशिनक दुर्गा आ चैति दुर्गा पुजा में सब दिन श्रद्धालु भारी संख्या में माँ के दर्शन लेल पहुँचैत अछि। ओना एकर अस्थपना गत शताब्दी में भेल छल। मुदा लोगक आस्था अयि स्थनक
लेल असीम अछि।
इतिहास :-
ई सिद्धिपीठ तंत्र विद्या पर आधारित अछि।अहि अस्थपना पं मुनेश्वर झा ( आब स्वर्गीय ) महान तंत्र साधक छलथि। अयि मंदिर परिसर में विश्व प्रसिद्ध
एकादशरुद्र मंदिर अछि। जहिमें 11 टा शिवलिंग स्थपीत अछि।
विशेषता :-
एतय आबय बला श्रद्धालु के ई माननाय अछि जे हिनक पूजा केला सं माँ सरस्वती आ माँ लक्ष्मी के एके संग प्राप्ति होइत अछि। अतय माता के प्रति दिन शृंगर
होइत छनि। एतय प्रतीमा के दर्शन टा कयल जा सकैत छी। जे भि समग्री देल जाइत अछि ओ पुजारि के माध्यम सं माता के अर्पित को देल जाइ छन। विभिन्न प्रकार के प्रेत वाधा सं एतय एला पर मुक्ती भेंट जाइत अछि।
कोना पहुँचब मंदिर :-
एतय पहुँच लेल मधुबनी जिला मुख्यालय स 3 कि. मि दूरी तय क पहुँच सकैत छी। ई मंदिर मंगरौनी गांव में छै
No comments: